Font by Mehr Nastaliq Web

अचरज

achraj

खेत सँ बहराइत अछि

धान, गहूम, तरकारी, फल सभ

विज्ञान सँ बहराइल अछि

ट्रेन, बस, हवाइ जहाजक संग

चन्द्रमा आ सुरुज धरि पहुँचबाक यान

सभ सँ अजगुत चीज मोबाइल बनल

ई विज्ञानक बड़का षड्यंत्र

बुझि पड़ रहल अछि

समाज केँ समाज नहि रहि देबाक षड्यंत्र

मनुख केँ मनुखता समाप्त क' देबाक षड्यंत्र

अपचेष्ट आ घिनाउन

अछि बनल जा रहल लोक

रील बना पाइ कमयबाक स्रोत सँ

देह उघारि आ अश्लील गप बाजि

कमा रहल अछि खूब

विज्ञानक नहि रहने

चिड़ै-चुनमुनी नहि बदलि सकल अछि अपन

कोनो चालि-व्यवहार

एखनो भोर होइतहि ओ

बिना कोनो अलार्मक

उड़ि जाइत अछि आकाश मे

ताकय अपन पेटक खर्चा

कठखोधी एखनो अपन लोलहि सँ

खोदैत अछि गाछ

बनबैत अछि अपन बास

खेत सँ उपजबाक नियति

चलैत रहल आ रहत बरखक बरख

मनुख अपन एहू निजता केँ

विज्ञानक षड्यंत्रक हिस्सेदार बना

क' रहल अछि समाप्त

टेस्ट ट्यूब सँ चलैत आ बढ़ैत

आइ मशीन सँ जन्म लेत

'बेबी पॉड' मे डिजाइनर बच्चा

जकरा माइक कोखिक

नहि पड़त बेगरता

अपनहि क' लेत अपना केँ कस्टमाइज

चलि रहल अछि ई ब्योंत

ई अछि ठीक ओहिना

जेना कोनो लोककथा मे सुनल

गाछ मे बगिया फरबाक कथा!

स्रोत :
  • पुस्तक : अकादारून (मैथिली कविता-संग्रह) (पृष्ठ 103)
  • रचनाकार : निक्की प्रियदर्शिनी
  • प्रकाशन : नवारम्भ, पटना/मधुबनी
  • संस्करण : 2025

Additional information available

Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

OKAY

About this sher

Close

rare Unpublished content

This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

OKAY