कोनो भदबारि-रातिमे
लेधरल बहुत रास बादरि मध्य
घेरा कए
एकसरूआ चाल लगैछ,
कोनो एकटा मुनक्ख जकाँ—
बेबस, पराजित, नत ग्रीव
कारी बादरिक वितान मध्य
पराभव उघैत
हमरा, एकसर यात्री चान जकाँ,
अपन मरणशीलतासँ, अपन नियतिसँ
अपन पतनशील जीवन-व्यवस्थासँ
कोनो दुःख नहि अछि
जँ हम तोड़ि नहि सकैत छी
भदवारि रातिक
कारी बादरि केर चक्रव्युह...
जँ हम नवोदित सुरूजक स्वागतमे
नहि जाय सकैत छी
एटलांटिकक लिधुराह हिलकोर धरि...।
खुशी-खुशी गर्दनि झुकौने
कोनो भदवारि रातिक मेघाच्छन्न आकाशमे
घेरायल, निरूपाय भेल चान जकाँ
हमरालोकनिकेँ अपन मृत्यु, अपन अन्त
स्वीकार्य होयबाक चाही
पराभवक यंत्रणा-बोधक
एक गोट सार्थक
समाप्ति उपक्रम
अभियान होयबाक चाही।
- पुस्तक : ई-मिथिला
- संपादक : बालमुकुन्द
- रचनाकार : ललितेश मिश्र
- प्रकाशन : हिन्दवी के लिए अनुवादक द्वारा चयनित।
- संस्करण : 2020
Additional information available
Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.
About this sher
rare Unpublished content
This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.