Font by Mehr Nastaliq Web

प्रीत कोमल हमर अछि सोहारी बनल

preet komal hamar achhi sohari banal

कलानन्द भट्ट

कलानन्द भट्ट

प्रीत कोमल हमर अछि सोहारी बनल

कलानन्द भट्ट

और अधिककलानन्द भट्ट

    प्रीत कोमल हमर अछि सोहारी बनल

    भोर भागल छै साँझ शिकारी बनल।

    हम झरल पात गाछक सदृश ठाढ़ छी

    अछि समस्या अगारी पछारी बनल।

    धरती फाटल गगन माथपर अछि चढ़ल

    ने सहारा कोनो बोझ भारी बनल।

    छल जकर आस अछि टुटल खाट सन

    सुखा कऽ ओकर रूप कारी बनल।

    स्रोत :
    • पुस्तक : कान्ह पर लहास हमर [मैथिली गजल संग्रह] (पृष्ठ 13)
    • रचनाकार : कलानन्द भट्ट
    • प्रकाशन : किसुन संकल्प लोक, सुपौल
    • संस्करण : 1983

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY