Font by Mehr Nastaliq Web

नाम लऽ कऽ जकर घाट पार करै छी

naam laऽ kaऽ jakar ghaat paar karai chhi

कलानन्द भट्ट

कलानन्द भट्ट

नाम लऽ कऽ जकर घाट पार करै छी

कलानन्द भट्ट

और अधिककलानन्द भट्ट

    नाम लऽ कऽ जकर घाट पार करै छी

    नाह ओकरे मुदा मझधार घरै छी।

    के बुझै अछि गरीबक व्यथा केर कथा

    मूर किछुओ ने, सूदिये पहाड़ करै छी।

    कौर छिनबामे मुँहक ने संकोच अछि

    उठा आगाँसँ सूखल पथार चलै छी।

    हम मरी ने जीबी जान हुँकरैत अछि

    अहाँ स्वारथमे डूबल शिकार करै छी।

    अपार माया थिकहुँ कालनेमि अहाँ

    विष खोआक मधुर उपचार करै छी।

    स्रोत :
    • पुस्तक : कान्ह पर लहास हमर [मैथिली गजल संग्रह] (पृष्ठ 17)
    • रचनाकार : कलानन्द भट्ट
    • प्रकाशन : किसुन संकल्प लोक, सुपौल
    • संस्करण : 1983

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY