Font by Mehr Nastaliq Web

नाम बदलि पहिचान बदललक

naam badali pahichan badallak

आनन्द मोहन झा

आनन्द मोहन झा

नाम बदलि पहिचान बदललक

आनन्द मोहन झा

और अधिकआनन्द मोहन झा

    नाम बदलि पहिचान बदललक

    आब अपन अभियान बदललक।

    नहि दच्छिन ने बाम बदललक

    सुविधा ले' भगवान बदललक।

    मात्र अपन जिद्दक खातिर

    सभटा ब'ड़-विधान बदललक।

    नँगटे एखनो लोक बहुत,

    नित-नूतन परिधान बदललक।

    किरदानी एतबे सत्ताकेँ

    झा, महतो, पसमान बदललक।

    स्रोत :
    • पुस्तक : तेँ ओ बजलैए (पृष्ठ 103)
    • रचनाकार : आनन्द मोहन झा
    • प्रकाशन : नवारम्भ, मधुबनी/पटना
    • संस्करण : 2023

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY