मुँह देखि-देखि मुङबा बँटै छी अहाँ
munh dekhi dekhi mungba bantai chhi ahan
कलानन्द भट्ट
Kalanand Bhatt
मुँह देखि-देखि मुङबा बँटै छी अहाँ
munh dekhi dekhi mungba bantai chhi ahan
Kalanand Bhatt
कलानन्द भट्ट
और अधिककलानन्द भट्ट
मुँह देखि-देखि मुङबा बँटै छी अहाँ
लाभ जकरेसँ पात भरै छी अहाँ।
चान दुतियाक क्रमसँ अघरपर बढ़य
रंग गिरगिट जकाँ बदलै छी अहाँ।
छी महामान्य विष-मधु भरल धैल सन
ब्यूह रचिकऽ सहायक बनै छी अहाँ।
डेग नापल उठय ने हुसल आइ तक
धरा-अम्बरकेँ मुठिये रखै छी अहाँ।
सभ जानय मुदा क्यो न बाजैत अछि
जे बाजय करेजे कटै छी अहाँ।
- पुस्तक : कान्ह पर लहास हमर [मैथिली गजल संग्रह] (पृष्ठ 2)
- रचनाकार : कलानन्द भट्ट
- प्रकाशन : किसुन संकल्प लोक, सुपौल
- संस्करण : 1983
Additional information available
Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.
About this sher
rare Unpublished content
This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.