Font by Mehr Nastaliq Web

मैथिलीकेँ मैथिले किछु दाबि रहल छै

maithiliken maithile kichhu dabi rahal chhai

कलानन्द भट्ट

कलानन्द भट्ट

मैथिलीकेँ मैथिले किछु दाबि रहल छै

कलानन्द भट्ट

और अधिककलानन्द भट्ट

    मैथिलीकेँ मैथिले किछु दाबि रहल छै

    ठाढ़ भऽ गाछ तर ठारि पाँगि रहल छै

    देखू इतिहास, आकाश देखलासँ की

    चोर खिड़कीसँ घरकेँ निहारि रहल छै

    मौका आयल ने घोखामे क्यो जन पड़ू

    पीठ पाछाँ छुरा उसाहि रहल छै

    मातृभाषा मधुर माय केर दूध सन

    युग-युगसँ मनुक्ख गीत गाबि रहल छै

    जँ चुकब तँ चुकब हम अधिकारसँ

    बिनु झगड़ने ने क्यो हक पाबि रहल छै

    स्रोत :
    • पुस्तक : कान्ह पर लहास हमर [मैथिली गजल संग्रह] (पृष्ठ 25)
    • रचनाकार : कलानन्द भट्ट
    • प्रकाशन : किसुन संकल्प लोक, सुपौल
    • संस्करण : 1983

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY