Font by Mehr Nastaliq Web

कोना फहरैए आँचरक छोर सजनी

kona phaharaiye ancharak chhor sajni

बाबा बैधनाथ

बाबा बैधनाथ

कोना फहरैए आँचरक छोर सजनी

बाबा बैधनाथ

और अधिकबाबा बैधनाथ

    कोना फहरैए आँचरक छोर सजनी

    देखि मोनमे उठैछ हिलकोर सजनी

    कियैक बनलहुँ-ए एहन कठोर सजनी

    देखू टहकै-ए अंग पोर-पोर सजनी

    राति पूनमकेर हो वा अमावसकेर

    अहीँ आबी तँ होइछ इजोर सजनी

    आब अपनहुँ तँ मोनकेर गप्प कहू

    कियै लाजेँ कँपैत अछि ठोर सजनी

    हम जे रहलहुँ एतेक दिन साधू बनल

    आब बनबै अहाँ लए हम चोर सजनी

    अहाँ महफिल जमाबऽमे जँ संग दी

    फेर होमऽ ने देबैक भोर सजनी

    स्रोत :
    • पुस्तक : पहरा इमानपर (मैथिली गजल-संग्रह) (पृष्ठ 25)
    • रचनाकार : बाबा बैधनाथ
    • प्रकाशन : गौरी प्रकाशन, कचहरी बलुआ, पूर्णिया
    • संस्करण : 1989

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY