Font by Mehr Nastaliq Web

ककरा कहबै आ के करतै एतऽ

kakra kahabai aa ke karatai etऽ

बाबा बैधनाथ

बाबा बैधनाथ

ककरा कहबै आ के करतै एतऽ

बाबा बैधनाथ

और अधिकबाबा बैधनाथ

    ककरा कहबै के करतै एतऽ भरोसक बात

    निसाँखोर लग भऽ ने सकैए कखनो होशक बात

    छै आलोचक सभ अनकर अपने मन सभ श्रेष्ठ

    गुणकेर चर्चा काटय दौड़य करैए दोषक बात

    छोट-पैघ सभ पकठायल छै क्यो ने एहिठाँ छोट

    वृद्ध-कागसँ करू बन्धु नहि अपने पोसक बात

    देस-विदेसक राजनीतिमे सभ पारंगत लोक

    बता सकत नहि पुछिकऽ देखू टोल-पड़ोसक बात

    कार्यालय लेल गुरुमन्त्र सीखि लिअऽ तँ मौज

    बस चमचाकेँ खुश राखू बिसरू बॉसक बात

    सभ दिनसँ जे सहैत रहल छै शोषण, अत्याचार

    ठंढा शोणित छै नहि सुनतै ककरो जोशक बात

    भेटि गेल छै सभके बाबा कुम्भकरण केर नीन्द

    जागि रहल अछि नवतुरिया सभ संतोषक बात

    स्रोत :
    • पुस्तक : पहरा इमानपर (मैथिली गजल-संग्रह) (पृष्ठ 6)
    • रचनाकार : बाबा बैधनाथ
    • प्रकाशन : गौरी प्रकाशन, कचहरी बलुआ, पूर्णिया
    • संस्करण : 1989

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY