Font by Mehr Nastaliq Web

चुप्पी मारि बैसल छी

chuppi mari baisal chhi

सुधांशु ‘शेखर’ चौधरी

सुधांशु ‘शेखर’ चौधरी

चुप्पी मारि बैसल छी

सुधांशु ‘शेखर’ चौधरी

और अधिकसुधांशु ‘शेखर’ चौधरी

    काटि लियऽ जिनगी कोना, समय तँ कटने कटय,

    जी हमर सहजेँ उचाट कतबो हटने हटय

    चुप्पी मारि बैसल छी कहूँ ने आबि जाथि,

    नमहर जे प्रतीक्षा अछि, कतबो छटौने ने छटय

    सनेस दऽ कऽ गेल छथि, राखी तँ कतऽ राखी,

    आँचर छोट बबूर ढेर कतबो अँटौने अँटय

    मोन तँ छिड़िआयवला थतमारि कोना राखब हम,

    जीवनक सौदा केहन कहुना पटौने पटय

    मीठ-मीठ दर्द होअय, राइसँ से ताड़ भेल,

    लाख हम उपाय करी उपचार भेटने भेटय

    जिनगीकेँ काछि कोना देहसँ हम दियऽ फेकि

    छोट सनक हिया जकर कतबो ठठौने ठठय

    स्रोत :
    • पुस्तक : गजल ओ गीत
    • रचनाकार : शेखर प्रकाशन, पटना
    • प्रकाशन : सुधांशु ‘शेखर’ चौधरी
    • संस्करण : 1991

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY