Font by Mehr Nastaliq Web

बानरक हेँज जकाँ बौख रहल लोक

banrak henj jakan baukh rahal lok

कलानन्द भट्ट

कलानन्द भट्ट

बानरक हेँज जकाँ बौख रहल लोक

कलानन्द भट्ट

और अधिककलानन्द भट्ट

    बानरक हेँज जकाँ बौख रहल लोक

    रंगल सियार जकाँ लौक रहल लोक

    बढ़बा लेल लेल आगाँ एक-दोसरासँ

    बंचनाक सूत्र धऽ दौड़ रहल लोक

    उज्जर जतेक जे तते से कारी

    कारी-सन आइ सिरमौर बनल लोक

    जीबाक स्तर खसल निरधिन भेल

    जे करय पूँजी, पछोड़ पड़ल लोक

    रहतै विषमता जाधरि धरापर

    ताघरि अविवेक सिलौट रहत लोक

    स्रोत :
    • पुस्तक : कान्ह पर लहास हमर [मैथिली गजल संग्रह] (पृष्ठ 35)
    • रचनाकार : कलानन्द भट्ट
    • प्रकाशन : किसुन संकल्प लोक, सुपौल
    • संस्करण : 1983

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY