बाप बेटीक आइ झमान भेल छै
baap betik aai jhaman bhel chhai
बाप बेटीक आइ झमान भेल छै
सुनिकऽ मांग तिलकक मलान भेल छै
पस्त भेलै पनहीक एँड़ी खिया कऽ
ठोर फुफरी परल, मयमान भेल छै
फाटल मिरजइ, प्योन घोतीमे साटल
बेटी कुमारि विपत्ति-खान भेल छै
दिनोमे राति जकाँ लोकै छै तारा
उड़ल नीन, दुतियाक चान भेल छै
नीकक कथा कोन बकलेलो बर केर
ओ, काटर समाजिक विधान भेल छै
- पुस्तक : कान्ह पर लहास हमर [मैथिली गजल संग्रह] (पृष्ठ 28)
- रचनाकार : कलानन्द भट्ट
- प्रकाशन : किसुन संकल्प लोक, सुपौल
- संस्करण : 1983
Additional information available
Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.
About this sher
rare Unpublished content
This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.