Font by Mehr Nastaliq Web

सुविधा लेलक समाधि

suvidha lelak samadhi

मार्कण्डेय प्रवासी

मार्कण्डेय प्रवासी

सुविधा लेलक समाधि

मार्कण्डेय प्रवासी

और अधिकमार्कण्डेय प्रवासी

    एकटा कचोट—

    मन-प्राणमे उठैए,

    वाणीमे नहि उतरल भावना डँसैए!

    दूर-दूर धरि—

    बनल रहलहुँ सहयात्री,

    व्यर्थ भेल सह-शय्या आइ धरि हँसैए!

    अवसरकेँ पकड़ि—

    छोड़ि देलक जेँ कवि-मन,

    तेँ अभाव-जालक जंजालमे फँसैए!

    शुद्धता सौन्दर्यक—

    बाटमे अड़ल छल,

    कल्पना नागिन बनि फाँसमे कसैए!

    सुविधा लेलक समाधि,

    शेष अछि असुविधा,

    इतिहासक चूक वर्त्तमानके डँटैए!

    घन गगनमे उमड़त—

    से तँ सम्भव अछि,

    मुदा बरिसबो करत से के जनैए!

    स्रोत :
    • पुस्तक : हम भेटब (मैथिली गीत-नवगीत संग्रह) (पृष्ठ 45)
    • रचनाकार : मार्कण्डेय प्रवासी
    • प्रकाशन : जखन-तखन, दरभंगा
    • संस्करण : 2004

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY