Font by Mehr Nastaliq Web

काँटो किछु गमकै छल

kanto kichhu gamakai chhal

मार्कण्डेय प्रवासी

मार्कण्डेय प्रवासी

काँटो किछु गमकै छल

मार्कण्डेय प्रवासी

और अधिकमार्कण्डेय प्रवासी

    नामपर अहँक—

    बसातो किछु ठमकै छल!

    फूल तँ फूले, काँटो किछु गमकै छल!!

    शब्द-सिन्धुमे तरंग आब नहि उठइछ

    भाव-मरुमे अभिव्यक्ति बीज नहि उगइछ

    गुम्म अछि किए हमर शरदक सुधि-संध्या,

    नामपर अहँक—

    चान-सूर्य चमकै छल!

    फूल तँ फूले, काँटो किछु गमकै छल!!

    रूप-रस-गंधक रुचि-विरक्त वातायन

    बन्द रहइछ, व्यर्थे फुजैत अछि नयन

    राग-अनुरागक काव्य-क्षितिज बिसरायल,

    नामपर अहँक

    मधु-निर्झर झहरै छल!

    फूल तँ फूले, काँटो किछु गमकै छल!!

    शून्यताक परिधिमे बेढ़ल अछि तन-मन

    ठाम-ठाम दृष्टिगत होइछ परिवर्त्तन

    आब जगनो केवल मसान जगइत अछि,

    काल्हि धरि—

    निन्नोमे प्रकाश पसरै छल!

    फूल तँ फूले, काँटो किछु गमकै छल!!

    स्रोत :
    • पुस्तक : हम भेटब (मैथिली गीत-नवगीत संग्रह) (पृष्ठ 35)
    • रचनाकार : मार्कण्डेय प्रवासी
    • प्रकाशन : जखन-तखन, दरभंगा
    • संस्करण : 2004

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY