Font by Mehr Nastaliq Web

चन्द्रमा दूरहि रहए

chandrma durahi rahe

अमित पाठक

अमित पाठक

चन्द्रमा दूरहि रहए

अमित पाठक

और अधिकअमित पाठक

    चन्द्रमा दूरहि रहए, बरू दूर हो नहि आँखिसँ

    छूबि लेब जखनहि, नियारब उड़ि मोनक पाँखिसँ

    चन्द्रमा दूरहि रहए...

    नहि सहब विरहाक वेदन, चान जँ ओझल हेतै

    तैं लगौने टकटकी, देखै छी हुनका चाँकिसँ

    चन्द्रमा दूरहि रहए...

    लग अबिते जेना, सम्हरए ने व्याकुल मोन

    डर सैह बैसल विषादक, होइछ सड़लो खाँकिसँ

    चन्द्रमा दूरहि रहए...

    पोसि रखने छी हृदयमे, कामना कत् प्रीतकेँ

    कुसुम पंकज खिलौती स्नेह सिंचित पाँकिसँ

    चन्द्रमा दूरहि रहए...।

    स्रोत :
    • पुस्तक : राग-उपराग (पृष्ठ 44)
    • रचनाकार : अमित पाठक
    • प्रकाशन : नवारम्भ
    • संस्करण : 2017

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY