Font by Mehr Nastaliq Web

ठाहर

thahar

हरेकृष्ण झा

अन्य

अन्य

और अधिकहरेकृष्ण झा

    हाहि जखन झपटैत अछि

    चारूकात,

    लाल आँचरक झाँपन मे

    तुलसी चौरा लग अबैत

    एकटा कँपैत दीपे टा

    मोन पड़ैत अछि।

    ठनका-बरखाक बाद

    जखन होइत अछि

    कनेक बुनछेक,

    सुन्नमसान

    एकटा टुट्ठ गाछ पर

    उजड़ल-पुजड़ल खोंता मे

    हरियर-पीयर पाँखि तर

    अपन चिलका कैं सटौने

    एकटा चिड़इक

    आँखिये टा

    मोन पड़ैत अछि।

    ठाहर भेटैत अछि

    आत्मा केँ

    घड़ी आध घड़ीक लेल।

    स्रोत :
    • पुस्तक : एना त नहि जे (पृष्ठ 145)
    • रचनाकार : हरेकृष्ण झा
    • प्रकाशन : रक्तमंजरी प्रकाशन
    • संस्करण : 2006

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY