Font by Mehr Nastaliq Web

ताकि रहल छी परिचय

taki rahal chhi parichay

दीपिका चन्द्रा

दीपिका चन्द्रा

ताकि रहल छी परिचय

दीपिका चन्द्रा

और अधिकदीपिका चन्द्रा

    आखर आखर जोड़ि

    बनाकय किछु शब्द

    शब्द सभकेँ सहेजैत

    गढ़बाक प्रयास करैत

    छी किछु एहेन वाक्यांश

    जाहिमे भेटि सकय हमरा

    हमर अपन परिचय

    भौतिकवाद भूमण्डलीकरणक

    पसरैत जा रहल अन्हारमे

    बिना पाछाँ तकने

    दौगल-भागल जा रहल

    मनुक्खक एहि महासागरमे

    कठिन भऽ गेल अछि

    बचायब अपन अस्तित्व परिचिति

    तेँ लिखैत रहैत छी कविता

    अपनहि कविताक आखरमे

    शब्दमे, वाक्यमे

    ताकि रहल छी अपन परिचिति

    स्रोत :
    • पुस्तक : चौकठिसँ चान दिस (पृष्ठ 24)
    • रचनाकार : दीपिका चन्द्रा
    • प्रकाशन : किसुन संकल्प लोक, सुपौल
    • संस्करण : 2024

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY