Font by Mehr Nastaliq Web

सुन्नर लगैत अछि गाम

sunnar lagait achhi gaam

मेनका मल्लिक

अन्य

अन्य

मेनका मल्लिक

सुन्नर लगैत अछि गाम

मेनका मल्लिक

और अधिकमेनका मल्लिक

    गाम बदलल मिनी शहरमे

    सुवासिन-बहुआसिन जाय लगलीह अछि

    टीसनपरक ब्यूटी पार्लरमे

    ओत्तहि खुजल अछि

    मधुबनी पेंटिंगक केन्द्र सेहो

    सीखऽ जाइत छथि नव-पुरान स्त्रीगण।

    मायकेँ नीक लगैत छनि मने

    हुलसि कऽ जनतब दैत छथि—

    फगुनियाक बेटी तेतरी

    स्कूटीसँ जाइत अछि टीसन

    बजैत रहैछ

    सीखलाक बाद

    दुनू चीज गामेमे खोलत

    ब्यूटी पार्लर मधुबनी पेंटिंगक केन्द्र।

    हम अपन बाड़ी-झाड़ी दिस जाइत छी

    बाड़ी फरल अछि कागती नेमो

    करोना सेहो

    मोन होइये दौगिकऽ जाइ

    एकबेर फेर पयर छूबी मायक

    खनो जोगाकऽ रखने छथि

    करोनाक गाछ।

    रान्हल गेल अछि हमर प्रिय

    अरिकोंचक तीमन

    भोजन करैत हमरा निहारि रहल छथि माय

    हम निहारैत छी मायकेँ

    कतेक सुन्नरि लगैत छथि हमर माय

    कतेक सुन्नर लगैत अछि हमर गाम

    कतेक दीब...।

    स्रोत :
    • पुस्तक : गेल्ह सब झाड़ैत अछि पाँखि (पृष्ठ 38)
    • रचनाकार : मेनका मल्लिक
    • प्रकाशन : चतुरंग प्रकाशन
    • संस्करण : 2017

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY