Font by Mehr Nastaliq Web

सोहर-समदाउन

sohar samdaun

विकास वत्सनाभ

विकास वत्सनाभ

सोहर-समदाउन

विकास वत्सनाभ

और अधिकविकास वत्सनाभ

    कहियो बाट तकैत

    फुलाइत छल अहाँक आँगनक गुलाब

    गुलाबे सन फुलाइत छल अहाँक ठोर

    बन्न आँखियोमे कतेक इजोत रहय तहिया

    आब ने बाट अछि ने बकियौता

    तगियबैत छी एसगर अतीतक ताग

    फुजल आँखियोमे कतेक अन्हार अछि आब

    ओना हमर आँगनक चम्पा

    तकैत अछि एखनहुँ अहाँक जुट्टीक बाट

    गुलाब की ओहिना फुलाइत अछि अहाँक आँगनमे?

    चम्पा-गुलाबक हमर-अहाँक आँगनमे

    लिखल जाइत अछि प्रेम

    सिद्धान्तक मानक भाषामे सिन्दूरक लिपिसँ

    भाषा कियैक नहि पढ़ि सकलहुँ हम-अहाँ?

    अहुना अभागल सबदिना रामे रहलाह

    सीता होइत छथि नियति

    जिनका नामक पूजती गौर सैह भ' जयताह राम

    मोन होयत 'सुदर्शन'क कथा

    कहियोकाल हारियो क' जीतैत अछि लोक

    अहाँक कोहबर हमर जीतक तगमा अछि

    अहाँक सोहर लेल भरि हाक समदाउन गौने छी

    स्रोत :
    • पुस्तक : नेपथ्यसँ अबैत हाक (पृष्ठ 35)
    • रचनाकार : विकास वत्सनाभ
    • प्रकाशन : किसुन संकल्प लोक, सुपौल
    • संस्करण : 2025

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY