Font by Mehr Nastaliq Web

शब्द (एक)

shabd (ek)

गंगेश गुंजन

अन्य

अन्य

गंगेश गुंजन

शब्द (एक)

गंगेश गुंजन

और अधिकगंगेश गुंजन

    शब्द अछि सीमा शब्दे सम्भावना

    शब्दे अछि सब हमर,

    सौंसे संसार,

    शेष सब बेकार।

    शब्द हमर स्नेह प्रेम

    शब्द हमर गाम घर देश,

    शब्द हमर आत्मा, सौंसे देह, भावना, कल्पना

    शब्द हमर वर्तमान शब्दे भविष्य

    शब्द हमर काल रात्रि,

    शब्द शाश्वत गीत,

    हारल बाजीक हमर शब्दे थिक गीत

    अक्षर-अक्षर सिरजल घर हमर,

    सिंचित संवेदनासँ चित्तभूमि,

    कालबंध प्रिय अप्रिय सभ प्रहर

    शब्दे साधक सब उज्ज्वल चिन्तन,

    शब्दे-साधना कवि केर कर्म,

    तेँ बिनु एकरे रहब कोना, युगक जे समाद से

    लोककेँ कहब कोना, जीयब कोना शब्द बिनु

    जीयब कियैक शब्द बिनु?

    स्रोत :
    • पुस्तक : आरम्भ (पृष्ठ 13)
    • संपादक : राज मोहन झा
    • रचनाकार : गंगेश गुंजन
    • प्रकाशन : आरम्भ
    • संस्करण : 1997

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY