Font by Mehr Nastaliq Web

रुसू जुनि

rusu juni

इलारानी सिंह

इलारानी सिंह

रुसू जुनि

इलारानी सिंह

और अधिकइलारानी सिंह

    रूसू जुनि,

    जुनि रूसू

    एहि मौनकेँ उपेक्षा जुनि बुझू

    सापेक्ष थीक हमर नीरवता

    कली थिकहुँ चम्पाक

    कली थिकहुँ बेलीक

    मुनले अछि एखन पपड़ीक आँखि

    भितरे-भितर मुदा

    कुनमुनाइत अछि अगणित आशाक रेशमी कीड़ा

    के हमरा चीन्हत?

    के हमर करत स्वागत?

    अहीँकेँ पुछइ छी...

    मौन की सरिपहुँ थीक अपराध?

    नीरवता थीक की उपेक्षा?

    स्रोत :
    • पुस्तक : इजोरियाक अङैठी मोड़ (पृष्ठ 11)
    • संपादक : माला झा
    • रचनाकार : इलारानी सिंह
    • प्रकाशन : किसुन संकल्प लोक
    • संस्करण : 2004

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY