समारोह
समारोह भव्य
उपस्थिति सेहो भव्य
बड़का-बड़का गाड़ी
बड़का-बड़का फाइल
बड़का-बड़का निर्णय
बड़का-बड़का पेट
बड़का-बड़का सड़क
नहर आ बिल्डिंग पचाबऽबला
बड़का-बड़का योजना।
भोज सेहो भव्य
मिठ-मिठ मिठाइ
मिठ मिठ माँउस
मिठ-मिठ दारु
मिठ-मिठ सपना
तोक आ भरोससँ
मोह भंग रोकबाक हेतु
यत्र-तत्र परसैत
मिठ-मिठ भाषण
अइँठकठार सेहो भव्य
ओहिपर लुधकल
कुत्ता सेहो भव्य
मुदा, लोक क्षुद्र
कुकुरकटाउँझ करैत।
परम्परा अछि
भोजमे जँ होइ नहि
डोमक घोंघाउज
तँ भोज नहि।
समारोह सेहो अछि परम्परा,
परम्परा
जँ रखबाक अइछ जीवित,
तँ जीवित रहबाक चाही
समारोह
भोज
कुत्ता
आ डोम
उत्पत्ति अछि
समारोह
आ भोजक।
जँ समारोह नहि तँ
भोज नहि,
भोज नहि तँ
अइँठकठार नहि,
आ अइँठकठार नहि तँ
डोम नहि।
- पुस्तक : समय गीत (पृष्ठ 19)
 - रचनाकार : रोशन जनकपुरी
 - प्रकाशन : मैथिली विकास कोष, जनकपुर
 - संस्करण : 2013
 
Additional information available
Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.
About this sher
rare Unpublished content
This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.