Font by Mehr Nastaliq Web

रोहिंग्या मुसलमान

rohingya musalman

गुफरान जीलानी

गुफरान जीलानी

रोहिंग्या मुसलमान

गुफरान जीलानी

और अधिकगुफरान जीलानी

    कोनो

    घटना-दुर्घटना

    प्राकृतिक आपदा

    कोनो आतंकी हमलामे

    मारल गेल लोकक खातिर

    चीखि चीखिकऽ

    कानयबला

    मानवताक हत्या

    कहयबला

    आतंकवादकेँ

    जड़िसँ उखाड़ि फेकबाक अढ़मे

    नियोजित रूपसँ

    आतंक मचाबयबला

    सुन

    कान खोलिकऽ सुन

    देख

    आँखि फाड़ि-फाड़िकऽ देख

    हम रोहिंग्या छी

    रोहिंग्या मुसलमान!

    हत्या

    भऽ रहल छैक हमरो

    एक गोटेक नहि

    दू गोटेक नहि

    दिन-प्रतिदिन भऽ रहल छैक

    अनेको बर्बर सामूहिक हत्या

    घर-दुआरि

    जरि रहल छैक हमरो

    काटल जाइत छी हमहूँ

    चीरल जाइत छी हमहूँ

    जराओल जाइत छी हमहूँ

    सामूहिक रूपसँ

    बलात्कार

    हमरो स्त्रीक

    माय-बहिनक भऽ रहल छैक

    चीरल जाइत छैक

    गर्भवती महिलाक गर्भ

    ओइ गर्भस्थ शिशुकेँ

    नेना-भुटका

    बूढ़-जुआन

    महिलाक संग करेंट लगाकऽ

    यातनापूर्ण हत्या कएल जाइत छैक

    मानवताक रक्षाक नामपर

    कानयबला

    कतय गेलौक तोहर नोर

    तोहर चीख-पुकार

    कतय गेलौक

    तोहर मानवता?

    स्रोत :
    • पुस्तक : लाल ओसक बुन्न [मैथिली कविता-संग्रह] (पृष्ठ 36)
    • रचनाकार : गुफरान जीलानी
    • प्रकाशन : नवारम्भ, पटना
    • संस्करण : 2018

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY