Font by Mehr Nastaliq Web

पहाड़मे

pahaDme

विजेता चौधरी

अन्य

अन्य

और अधिकविजेता चौधरी

    (क)

    डोकोमे चौरीगायकेँ घी मधुक शीशी लऽ कऽ

    सुदूर पहाड़क खोंचे-खोंच होइत

    उतरि रहल छैक डोको सभ

    तराइक बजारमे अपन भारी बेचिकऽ

    किनतैक नून-तेल सपना सभ

    हँ, सपना सभ

    एक जोड़ आँखि पछुऔने छैक बाट

    कि कहिया आओत बाबू लाओत सनेस

    घड़ी, पेन्सिल, जूता, कपड़ा मिठाइ...

    एक जोड़ आँखि त्रसित छैक सपनहुँमे

    कहीं भीड़सँ पिछड़ि तँ ने गेलैये पैर

    कियेक लादि लेलक पहाड़ सन भारी बोझ

    जीवनसँ भारी सपना

    (ख)

    पहाड़मे चिल्होड़ भजबैत आइ एक वर्षसँ

    सीटामोल पेटझड़ीक दवाइ लेने कोनो हेलीकॉप्टर

    नहि उतरलैक अछि

    स्वास्थ्य संस्थामे नहि छैक डॉक्टर नर्स

    मात्र छैक बिझायल लटकल बुढ़िया ताला वर्षोसँ

    अकाल मरैबलाक संख्या हजार टप गेलैक एहू वर्ष

    मातृ-मृत्यु दर प्रगति करैत छैक सभ साल

    भुखमरीक गणना नहि भेलैक एहू वर्ष

    कियेक तँ सड़ल चाउर नोनक पुड़िया लऽ कऽ

    नहि उतरलैक कोनो हेलीकॉप्टर दू वर्षसँ

    कोना उतरौक

    सड़ल चाउर सरकारक वफादार सभ खा जाइत छैक

    तेँ खाली झोरा लऽ कऽ सालोसँ दिकी शेर्पा पारुहांग राई सभ

    आकाशमे नजरि गड़ौने बैसल अछि

    ओकरा विश्वास छैक

    चाउरक बोरा लऽ कऽ हेलीकॉप्टर अवश्य अओतैक

    टकटकी लगौने बैसल अछि

    जे भूखल घरमे ओकर अयबाक आस तँ छैक

    आशाक जन्मघुट्टी पियाकऽ पोसैत अछि परिवार

    पहाड़क यैह रीत छैक, कहाँदनि...

    ढिडो गुन्द्रुक जहियासँ

    फाइवस्टार होटलक मेन्यूमे शामिल भऽ गेल छैक

    विदेशी सभक पसन्द बनि गेल छैक

    तहियेसँ एकाएक बजारक भाव बढ़ि गेल छैक

    तेँ पहाड़मे आब ढिडो गुन्द्रुक सेहो वर्जित छैक

    पहाड़मे जिनगी वर्जित छैक

    कियेक तँ राजधानी केन्द्रित नजरि सभ

    पहाड़क ऊँचाई नहि नापि सकैछ!

    स्रोत :
    • पुस्तक : धाराक विरुद्ध (पृष्ठ 85)
    • रचनाकार : विजेता चौधरी
    • प्रकाशन : नवारम्भ
    • संस्करण : 2019

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY