Font by Mehr Nastaliq Web

नै चाही विस्तार

nai chahi vistar

राज

राज

नै चाही विस्तार

राज

और अधिकराज

    आब कहाँ रहलै समय

    जहनि कि दाइ माँ सरोबर लिखै छली

    ओइमे दहाइत पुरइनिक दह असंख्य फुलायल कमलक फूल

    आँकै छली बँसबिट्टी ओइ पर मरराइत सूगाक जेर

    नै आब कहाँ रहलै समय

    जहनि रुपैयाक मोन भरि अनाज भेटै छलै

    चालीस सेर दूध भेटै छलै

    नै आब कहाँ रहलै समय

    आब त' सबटा बुढ़बा ककाक मूँहक

    कुबैन-अनसोहाँत खिस्सा टा रहि गेल छै

    खाली आँतक

    पताइत कंठक सोहर आखरिस कते नीक लगतै

    फाटल आँचर आखरिस कते अनुराग लपेटिक' राखि सकतै

    डिहबार आकि पीड़ बबाक मनौती

    भगत ककाक झाड़-फूक

    मोलबी साहेबक गंडा-ताबीज पर

    पथाएल पिपनी पर

    कत्ते ममत्व पथराइत रहतै

    नै, नै चाही आर अधिक विस्तार

    महाकालक अजेगरी जीहक लेल निमूधन आहार

    नै, नै चढ़ौतै आर बेसी

    गामक कोनियाँ अनुरागक

    ठकुआ-भुसबाक अरग

    दिन-दिन अकाबोन सन

    भेल जा रहल महानगरक फूट-पाथ

    गामक पठरू टूनाक हेर

    चहाएल-छगाएल तकने फिरैए

    नुकेबाक ठेकान

    अभावक अकाबोनमे

    नै, नै चाही विस्तार

    गनलो-गूथल निस्सन बीया

    खेतक हरियरीक लेल बहुतो होइ छै

    नै होइ छै उपजा

    घुनाएल ढाकी भरि बीहनि स'

    उसरि जाइ छै वंश

    लक्ष संख्य रावणक

    शतसंख्य कौरबोक

    बसि जाइ छै कोनो भारत

    वनकन्या शकुन्तलाक

    एक्केटा बेटा भरतो स'

    एक्केटा मनु स' बसल छै दुनिया

    भस्मसात भ' जाइ छै सगरक सहस्त्रो संतान

    एकमात्र भागिरथो जमीन पर

    गंगा उतारै छै, एक्केटा बुद्ध झुका दै छै

    अंगुलीमालक

    दुर्दान्त दस्यु बल के

    एक्केटा सुरुज चिर्रीचोंत क' दै छै

    महान्धकार

    नै, नै चाही आर

    अनावश्यक विस्तार।

    स्रोत :
    • पुस्तक : ऐ अकाबोन मे (मैथिली कविता-संग्रह) (पृष्ठ 41)
    • रचनाकार : राज
    • प्रकाशन : नवारम्भ, पटना
    • संस्करण : 2011

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY