Font by Mehr Nastaliq Web

खेतमे खटैत लड़की

khetme khatait laDki

आनन्द मोहन झा

आनन्द मोहन झा

खेतमे खटैत लड़की

आनन्द मोहन झा

और अधिकआनन्द मोहन झा

    खेतमे खटैत लड़की

    नहि जाइत छैक विद्यालय

    नहि करैत छैक

    कोनो कमीशनक तैयारी

    नहि उड़ेतै फाइटर विमान

    नहि देतै कोनो मंचपर भाषण

    नहि देखाइ पड़तै टीवी स्क्रीनपर

    खेतमे खटैत लड़की

    नहि लिखैत छैक कविता

    ओकरा नहि बूझल छैक

    स्त्री विमर्श किंबा

    नारी सशक्तिकरणक भाँज

    खेतमे खटैत लड़की

    रोपैत छैक धान

    बाउग करैत छैक गहुँम खेढ़ही

    अपसियाँत रहैत छैक

    पटौनी, कटनी, दौनी ओसौनीमे

    वैह धान-गहुँम त' अछि

    हमरा सभक आहार

    जाहिपर जीबैत छी हम सभ

    जाहि बलेँ करैत छी घनेरो काज सभ

    मंचपर चढ़ि छँटैत छी भाषण

    लिखैत छी कथा, नाटक, उपन्यास

    गीत-गजल, कविता सभ

    मुदा

    खेतमे खटैत लड़की

    नहि पढ़ैत छैक कविता

    नहि बुझैत छैक कविता...!

    स्रोत :
    • पुस्तक : ई नहि थिक हमर प्रार्थना (पृष्ठ 75)
    • रचनाकार : आनन्द मोहन झा
    • प्रकाशन : नवारम्भ, मधुबनी/पटना
    • संस्करण : 2020

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY