हम नहि कहि सकैत छी अहाँकेँ अंतिम प्रणाम
hum nahi kahi sakait chhi ahanken antim prnaam
रामकृष्ण परार्थी
Ramakrishna Pararthi
हम नहि कहि सकैत छी अहाँकेँ अंतिम प्रणाम
hum nahi kahi sakait chhi ahanken antim prnaam
Ramakrishna Pararthi
रामकृष्ण परार्थी
और अधिकरामकृष्ण परार्थी
हे हमर मातृभूमि आ मातृभाषा
हम नहि कहि सकैत छी अहाँकेँ अंतिम प्रणाम
हमरा नजरिमे दुनियाँक सभसँ मिठगर
बोली छी अहाँ
आ सभसँ सुन्नर स्थान
हम नहि कहि सकैत छी अहाँकेँ अन्तिम प्रणाम
अहाँक अछि हमरा पर बहुते उपकार
अहींक बोलीसँ फूजल अछि हमर पहिल बकार
अहींक अन्न-जलसँ पलायल अछि हमर देह
अहींक स्वच्छ बसातसँ मेटायल अछि
हमर हरेक क्लेश
अहींक माटि-पानिमे खेल-कूदिक'
हम भेल छी सियान
हम नहि कहि सकैत छी अहाकेँ अंतिम प्रणाम
हँ, भैयारीमे होइत छैक विचारक भिन्नता
चलैत रहैत छैक हक-अधिकारक लड़ाइ
एकर माने ई नहि जे हम कायरक कलंक लगाक’
सदैवक लेल कतहु आनठाम बसि जाउ
हमरा रहबाक अछि एहीठाम
हमरा बजबाक अछि मैथिलीक जुबान
लड़िक' लेबाक अछि उचित सम्मान
हम नहि कहि सकैत छी अहाँकेँ अंतिम प्रणाम
हँ, हमर कर्तव्य अछि जे करी अहाँक विकास
अहाँकेँ पाखंड, आडंबर आ
अंधविश्वासक गुज अन्हारसँ निकालबाक लेल
देखबी पुनर्जागरणक प्रकाश
हम नहि देखि सकैत छी जे
कोनो जाति आकि क्षेत्र विशेषक लोक
अहाँकेँ बनौने रहय अपन गुलाम
हम नहि कहि सकैत छी
अहाँकेँ अंतिम प्रणाम।
- पुस्तक : विद्रोही बसात (मैथिली कविता-संग्रह) (पृष्ठ 21)
- रचनाकार : रामकृष्ण परार्थी
- प्रकाशन : नवारम्भ, पटना/मधुबनी
- संस्करण : 2024
Additional information available
Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.
About this sher
rare Unpublished content
This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.