Font by Mehr Nastaliq Web

हस्तक्षेप

hastakshep

विकास वत्सनाभ

विकास वत्सनाभ

हस्तक्षेप

विकास वत्सनाभ

और अधिकविकास वत्सनाभ

    ओससँ भीजल सिंगरहार

    माटिपर खसल प्रात

    पओलक हाथक स्पर्श

    आकि पिचायल पयर तर

    अँटकर कठिन अछि लगायब

    ओना एहि अंदेशासँ इतर

    फुलायब त' आग्रह अछि सिंगरहारक

    एखन जे देखब साध्य नहि अछि इजोतमे

    अन्हार बढ़ौलक अछि

    एहि मारुख समयसँ अपन चिन्हारय

    गाजा-पट्टीक गदौसपर ठाढ़ भेल

    तकैत छी ओहि नेनाक बाट

    जे भोरे बहरायल छल सिंगरहार बीछय

    एखन नहि लिखि होयत मरसिया

    बन्नुक नहि उठायब किन्नहुँ

    अजबारल दुनू हाथमे

    सिंगरहार अछि आँजुर भरि

    भरि आँजुर सिंगरहार

    लुटाओल अछि

    अकासक अगदिग विस्तारमे

    अग्निवर्षाक विरुद्ध यैह अछि हमर हस्तक्षेप

    स्रोत :
    • पुस्तक : नेपथ्यसँ अबैत हाक (पृष्ठ 25)
    • रचनाकार : विकास वत्सनाभ
    • प्रकाशन : किसुन संकल्प लोक, सुपौल
    • संस्करण : 2025

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY