Font by Mehr Nastaliq Web

हमर पीढ़ी

hamar piDhi

मायानंद मिश्र

मायानंद मिश्र

हमर पीढ़ी

मायानंद मिश्र

और अधिकमायानंद मिश्र

    कियो कहलक जे हमर पूर्वज जानवर छल

    हम जानवरेक स्मृति-शेष छी

    परम्परा विशेष छी।

    खोहसँ अट्टालिका धरि

    छालसँ टेरेलिन धरि

    अनेक भूगोलक अनेक इतिहास थिक।

    वस्तुतः हम 'महान' जानवरक

    अति 'क्षुद्र' संतान छी

    ओकर हत्या, भूख लेल छल

    हमर भूख, हत्याक लेल अछि

    एही हत्याक लेल

    जन्मल अछि विज्ञान।

    असली विज्ञान

    नकली हृदय नकली धड़कन बनबैत अछि,

    असली कार्य लेल नकली मनुष्य बनबैत अछि।

    नकली नहि बना सकल हथियार

    नकली नहि बना सकल युद्ध।

    असली विज्ञान असली आदमी

    नहि बना सकल।

    हम सब असली जानवरक

    नकली संतान छी।

    स्रोत :
    • पुस्तक : अवान्तर (पृष्ठ 56)
    • रचनाकार : मायानन्द मिश्र
    • प्रकाशन : मैथिली चेतना परिषद्, सहरसा
    • संस्करण : 1977

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY