एकटा हरियर गाछ सुखा गेल
यूकेलिप्टसक छीप परसँ पिछड़त हरियरी
आ चमकैत गुरुत्वाकर्षण—बलेँ
धरतीमे समा गेल
आ, हरियरी बिला गेल।
हमरालोकनि गबैत छी गीत नव नव
पबैत छी सुख-सुविधा अभिनव
करैत छी भोग,
रहैत छी कुण्ठित,
बुझैत छी तुष्टि
आ सुझैत अछि साओन-भादव।
आयल छल बाढ़ि कमलामे परुकेँ जकाँ
लघलक नहि बदरी मुदा
जेठक रौद ओहने आसिनक इजोरिया
कदम नहि फुलायल मुदा पीयर
गाछो तँ सुखा गेल।
अपन दुमहलाक कोठलीमे बैसल
खिड़की दऽकऽ देखैत छी, अझक्के
हरियर बाधकेँ धुआँ, धुआँ!
- पुस्तक : मैथिलीक नव कविता (पृष्ठ 74)
- संपादक : रामकृष्ण झा ‘किसुन’
- रचनाकार : हंसराज
- प्रकाशन : सांस्कृतिक विभाग, सुपौल, बिहार
- संस्करण : 1971
Additional information available
Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.
About this sher
rare Unpublished content
This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.