Font by Mehr Nastaliq Web

बोनसाइ

bonsai

ज्योत्स्ना चन्द्रम्

अन्य

अन्य

और अधिकज्योत्स्ना चन्द्रम्

    प्रगति-पथपर

    द्रुतगतिएँ अभिनय करैत युग

    क्षणे-क्षण

    लऽ रहल अछि नब आकार

    बदलि रहल अछि रंगमंच

    अपन सभटा पूर्व रंग

    कुशल लाइटमैन जकाँ

    दऽ रहल अछि फोकस

    जीवनक एक-एक स्पॉटपर

    आ,

    मनुक्खक लगपासक दुनिया

    नहा रहल अछि

    सराबोर भऽ रहल अछि

    एहि नव अर्थबोधक

    बहुरंगी इजोत सँ

    चिक्कन पाउडर सन

    गमकैत प्रभाव

    छिहलि रहल अछि सभतरि—

    शहर, गाम

    डगर, डगर...

    आगाँ बढ़बाक प्रतिस्पर्धामे

    पिछड़बाक डर

    बिसरि रहल छै परिसर-परिवेश

    स्वयं,

    स्वयंटा कें चीन्हऽ लागल अछि लोक

    आधुनिकताक हड़कम्प मे

    बिला रहल अछि आत्मीयता

    खियाए लागल अछि भावना

    अर्थतंत्रक बजार मे

    उड़िया रहल अछि

    मोनक सुगंधि

    बर्फक सिल्ली तर

    मुर्दा भेल आपकता

    स्पंदनहीन

    निश्चेत पड़ल अछि

    सहमल,

    सुटकल सन अनुराग

    कात भेल ठाढ़ अछि

    उपेक्षाक धाह

    पजरि रहल अछि सभतरि

    आब तऽ जेना

    शेष नहि रहल

    ममताक छाहरि

    संरक्षणक शान्ति...

    भरिसक,

    सम्बंधक सेहो भऽ रहल अछि

    बोनसाई संस्करण!

    स्रोत :
    • पुस्तक : समग्र ज्योत्स्ना (पृष्ठ 53)
    • संपादक : विभूति आनन्द
    • रचनाकार : ज्योत्स्ना चन्द्रम्
    • प्रकाशन : नवारम्भ
    • संस्करण : 2017

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY