Font by Mehr Nastaliq Web

भूख

bhookh

मेनका मल्लिक

अन्य

अन्य

और अधिकमेनका मल्लिक

    फुटपाथक कातमे पड़ल

    नओ मासक नेनाकेँ

    भूखसँ बेहाल

    पथियामे राखल आम दिस लपकैत देखि

    कात करैत ओकर माय कहैत अछि—

    पियास लागल छह?

    आनि दैत छियह

    चापाकलसँ ठंढ़ा पानि

    भरि मोन पीबि लिहऽ

    पीब हमहूँ

    शान्त करब अपन लहरैत पेटकेँ

    तोहर सेहो।

    एकटा आमक दाम

    बूझल छह तोरा?

    नहि ने!

    मात्र पाँच टाका महाजनक सूदि

    एक साँझक खोराक

    आधा सेर मोटका चाउरक दाम

    चलह बना दैत छियऽ मरसटका

    ओहीमे तकिहऽ बेटा!

    मालदह आमक स्वाद।

    स्रोत :
    • पुस्तक : गेल्ह सब झाड़ैत अछि पाँखि (पृष्ठ 27)
    • रचनाकार : मेनका मल्लिक
    • प्रकाशन : चतुरंग प्रकाशन
    • संस्करण : 2017

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY