Font by Mehr Nastaliq Web

बाँचल रहैत अछि लिलसा

banchal rahait achhi lilsa

मुख्तार आलम

अन्य

अन्य

मुख्तार आलम

बाँचल रहैत अछि लिलसा

मुख्तार आलम

और अधिकमुख्तार आलम

    बममे

    रॉकेटमे

    मिसाइलमे

    राइफलमे

    पिस्तौलमे

    कि सलगर लकड़ीमे

    ताकत नहि होइत अछि

    सुरुजक तापमे

    बसातमे

    आगिमे

    पानिक प्रवाहमे

    सत्ता पदोमे

    नहि होइत अछि ताकत

    ताकत होइत अछि

    मनुक्ख केर

    आत्मामे

    निश्चयमे

    संकल्पमे

    संघर्षमे

    उत्साहमे

    एकटा विश्वासमे

    एहि ताकत केर भरोस

    साम्राज्यवादी शक्तिसँ

    टकराबै केर लेल

    आतुर भए जाइत अछि

    एकटा महात्मा

    एकटा छोट-छीन देश

    दए दैत अछि चुनौती

    विश्वशक्तिकेँ

    एहि ताकत केर बुते

    लाखक-लाख

    दुखी-गरीब

    पीड़ित लोकमे

    बाँचल रहैत अछि

    जीवन जीबाक लिलसा।

    स्रोत :
    • पुस्तक : परिचय बनैत शब्द (पृष्ठ 67)
    • रचनाकार : मुख्तार आलम
    • प्रकाशन : मुख्तार आलम
    • संस्करण : 2021

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY