Font by Mehr Nastaliq Web

हमर देश जागल

hamar desh jagal

आरसी प्रसाद सिंह

आरसी प्रसाद सिंह

हमर देश जागल

आरसी प्रसाद सिंह

और अधिकआरसी प्रसाद सिंह

    हमर देश जागल, हमर भाग जागल

    हमर गीतमे जागरण-राग जागल

    सुतल छल तँ सूतल, पड़ल बेखबरि छल

    चैतनीक तन पर तनिको असरि छल

    शिशिर-राति बीतल

    कठिन शीत जीतल

    जेना काढ़ि कऽ फण कोनो नाग जागल

    हमर भाग जागल, हमर देश जागल

    भरुकबाक तारा उगल छै गगनमे

    सुरभि-ज्वार-लहरी उठल छै भुवनमे

    तरुण-भृंग-माला

    चलल गन्ध-शाला,

    पढ़इते पहाड़ा बटुक-काग जागल

    हमर भाग जागल, हमर देश जागल

    विजय-श्री भेटै छैक पहिले उदयकेँ

    करय जे पराजित अन्हारक अनयकेँ

    भुवन भरि उजागर

    नदी-झील, सागर;

    मनोरथ गुनागर, विपिन, बाग जागल

    हमर भाग जागल, हमर देश जागल

    बिदा भेल चानक तरेगन बराती

    शिवालाक बाबा उठौलन पराती

    अन्हर-जाल टूटल

    अनल-बाण छूटल

    कनक-धान फुटल किरण-आगि लागल

    हमर भाग जागल, हमर देश जागल

    कलश-ज्योति भरि कऽ उनटि देल गोरी

    अरुण भेल धरती, सपन गेल चोरी

    गरजि गेल डंका

    शिथिल भेल शंका

    जरल भीति-लंका, भरम-भूत भागल

    हमर भाग जागल, हमर देश जागल

    चललि खेत-पनिघट किसानक कुमारी

    फहरि गेल गोटक रंगारंग साड़ी

    फुलल फूल-आनन

    गमकि गेल कानन;

    कयल ठोप-चानन वरक भाग जागल

    हमर भाग जागल, हमर देश जागल

    अजन्मा भविष्यक बजै छै नगाड़ा

    नचारी गबै अछि, उदरमे चारा

    भेटल राजगादी

    फिरै अछि अजादी;

    उछन्ने चरै अछि, जेना साँढ़ दागल

    हमर भाग जागल, हमर देश जागल

    जमानाक मोफिल, जुआनीक नटुआ

    मगन भेल जनता, हेरा गेल बटुआ

    धरक बेचि कनिञा

    लेलक कीनि धनिञा

    भगत भेल बनिञा, जगत ज्ञान-पागल

    हमर भाग जागल, हमर देश जागल

    घरे-घर धमाउर, छमक-छूम मस्ती

    जगर-जमगर आँगन, चहल-पहल बस्ती

    सिनेमाक खेला

    कि नवरंग मेला?

    एहन कोन चुनरी बिना दाग लागल?

    हमर भाग जागल, हमर देश जागल

    चरित्रेक बलसँ प्रगति पर बढ़ैए

    चरित्रे विकासक शिखर पर चढ़ैए

    सोना, दाना

    सेना, खजाना

    चरित्रेक तपसँ हमर त्याग जागल

    हमर भाग जागल, हमर देश जागल

    स्रोत :
    • पुस्तक : सूर्यमुखी (पृष्ठ 23)
    • रचनाकार : आरसी प्रसाद सिंह
    • प्रकाशन : मैथिली अकादमी, पटना
    • संस्करण : 2011

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY