Font by Mehr Nastaliq Web

अहाँक संग

ahank sang

कामिनी

अन्य

अन्य

कामिनी

अहाँक संग

कामिनी

और अधिककामिनी

    नहि चाही हमरा

    मरलाक बाद

    अहाँक श्रद्धांजलि

    हमर फोटो पर कैल गेल अर्पण

    कोनो फूल/स्वीकार नै हैत हमरा

    चाहे बेली, चमेली, चम्पा या गुलाबे किए नहि हो

    कोनो मोमबत्ती मार्च संग

    नहि चलब हम

    अहाँक संग-संग

    कोनो चौक-चौराहा

    कोनो मैदान धरि

    हमरा मरलाक बाद

    अहाँ एक संग ठाढ़े होयब

    तऽ घुरि नहि आयब हम

    अहाँक दुनियामे

    अपन जीवन जीवाक लेल

    हमरा तऽ अहाँक स्नेह चाही

    विश्वास चाही

    हर सुख-दुःखमे

    अहाँक संग चाही

    जे थमने रहय हमर हाथ

    डगमगाय नहि दिअय कहियो

    कोनों तूफानमे

    गर्वसँ कहि सकी हम

    अहाँ हमर छी/ हम अहाँक छी

    हमर सभ्यता एक अछि

    हमर संस्कार एक अछि

    हमर समाज एक अछि

    हमर विचारो एके अछि।

    स्रोत :
    • पुस्तक : परती परहक फूल (पृष्ठ 66)
    • रचनाकार : कामिनी
    • प्रकाशन : शेखर प्रकाशन
    • संस्करण : 2013

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY