Font by Mehr Nastaliq Web

पत्र आयल अछि मैथिल जागल गामसँ

patr aayal achhi maithil jagal gamasan

कलानन्द भट्ट

कलानन्द भट्ट

पत्र आयल अछि मैथिल जागल गामसँ

कलानन्द भट्ट

और अधिककलानन्द भट्ट

    पत्र आयल अछि मैथिल जागल गामसँ

    पठा रहलहुँ गजल हम हुनक नामसँ

    रक्त तर्पण कएल किछु सहल चोटकेँ

    मातृभाषा सरस मैथिलीक नामसँ

    ढनमना गेल कोहबर सजल-स्वर्ग-सन

    मधु हेरा गेल मधुमय मिलन जामसँ

    क्रांति लहरा उठल लऽ अङैठी विकट

    शांति केर क्षेत्रमे आइ सभ ठामसँ

    लेब अधिकार शोणित बहौ जे बहत

    उठल ललकार भीषण दहिन-बामसँ

    स्रोत :
    • पुस्तक : कान्ह पर लहास हमर [मैथिली गजल संग्रह] (पृष्ठ 26)
    • रचनाकार : कलानन्द भट्ट
    • प्रकाशन : किसुन संकल्प लोक, सुपौल
    • संस्करण : 1983

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY