Font by Mehr Nastaliq Web

पूरल ने एको आस हिया

pural ne eko aas hiya

सुधांशु ‘शेखर’ चौधरी

सुधांशु ‘शेखर’ चौधरी

पूरल ने एको आस हिया

सुधांशु ‘शेखर’ चौधरी

और अधिकसुधांशु ‘शेखर’ चौधरी

    जे गीत भेटल भासमे, चट गाबि लेलहुँ हम,

    संगीत रचब सोझ नै, मुँह बावि देलहुँ हम

    देखल ने बाट हाटकेर हम पयर बढ़ौलहुँ,

    ठसक अनेर कष्ट मुदा पाबि लेलहुँ हम

    सुनने रही सिनेह बड़े पैघ छै सम्बल

    गप्पो ने करब आब मुँहे जाबि लेलहुँ हम

    पोसब बड़े अधलाह थिक जनमार सेहन्ता,

    पूरल ने एको आस हिया दाबि लेलहुँ हम

    अगुआ बनब सभ बातमे नीक नै होइ छै,

    काते रही, काते चली, से भावि लेलहुँ हम

    व्यर्थे डेंगायब पानी तेहन काज नै छै काज,

    जिनगीक ने उपयोग ततऽ आबि गेलहुँ हम

    स्रोत :
    • पुस्तक : गजल ओ गीत
    • रचनाकार : शेखर प्रकाशन, पटना
    • प्रकाशन : सुधांशु ‘शेखर’ चौधरी
    • संस्करण : 1991

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY