कहिया धरि चुप रहितै तेँ ओ बजलैए
kahiya dhari chup rahitai ten o bajalaiye
आनन्द मोहन झा
Anand Mohan Jha
कहिया धरि चुप रहितै तेँ ओ बजलैए
kahiya dhari chup rahitai ten o bajalaiye
Anand Mohan Jha
आनन्द मोहन झा
और अधिकआनन्द मोहन झा
कहिया धरि चुप रहितै तेँ ओ बजलैए
आब जुलुम नहि सहतै तेँ ओ बजलैए।
स’र-समाज, सरकार क्यो नहि किछु केलकै
आर ककर मुँह तकितै तेँ ओ बजलैए।
पीबि पसेना माटि जकर सोना उगिलै
से आब ने भूखल सुततै तेँ ओ बजलैए।
माथ झुकौने ठाढ़ अदौसँ रहल मुदा
संतान ओकर नहि झुकतै तेँ ओ बजलैए।
दाबि देबै आवाज समय ओ चलि गेलै
सभ रीति-रेबाज बदलतै तेँ ओ बजलैए।
- पुस्तक : तेँ ओ बजलैए (पृष्ठ 19)
- रचनाकार : आनन्द मोहन झा
- प्रकाशन : नवारम्भ, मधुबनी/पटना
- संस्करण : 2023
Additional information available
Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.
About this sher
rare Unpublished content
This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.