Font by Mehr Nastaliq Web

विश्वास पुजै छी

vishvas pujai chhi

मार्कण्डेय प्रवासी

मार्कण्डेय प्रवासी

विश्वास पुजै छी

मार्कण्डेय प्रवासी

और अधिकमार्कण्डेय प्रवासी

    पाथर नहि,

    हम कोटि-कोटि लोकक विश्वास पुजै छी;

    तेँ नास्तिकताकेँ

    जन-द्रोही स्वर-विश्वास बुझै छी।

    धरती दै अछि

    अन्न, पानि, फल एवं आवासक सुख

    तेँ धरतीकेँ

    माँ कहि-कहिकऽ हम कृतकृत्य रहै छी।

    आस्तिकताकेँ—

    भने विवशता कही, विकल्प दोसर,

    हम मन्दिरमे—

    अपने मनक स्वप्न साकार करै छी।

    मानवीय शक्तिक सीमामे—

    जेँ लघुता भेटल अछि,

    तेँ ईश्वरक

    विराट् चेतनाकेँ निस्सीम कहै छी।

    जीवन अछि

    जीबाक वस्तु, तेँ आशावादी छी हम,

    मरण-व्यथाकेँ

    हम अन्तरिम व्यवस्था मानि रहै छी।

    भौतिकता—

    सम्पूर्ण तृप्ति उपछऽमे जेँ अक्षम अछि,

    तेँ अध्यात्म-दृष्टिसँ

    विश्वक करुणा-काव्य पढ़ै छी

    बूझल अछि जेँ—

    घाम-चाममय अस्तित्वक सार्थकता,

    तेँ अमरत्वक

    परा-चेतनाकेँ सदिखन जगबै छी!

    स्रोत :
    • पुस्तक : हम भेटब (मैथिली गीत-नवगीत संग्रह) (पृष्ठ 50)
    • रचनाकार : मार्कण्डेय प्रवासी
    • प्रकाशन : जखन-तखन, दरभंगा
    • संस्करण : 2004

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY