Font by Mehr Nastaliq Web

नुका रहल अछि चान

nuka rahal achhi chaan

मार्कण्डेय प्रवासी

मार्कण्डेय प्रवासी

नुका रहल अछि चान

मार्कण्डेय प्रवासी

और अधिकमार्कण्डेय प्रवासी

    नुका रहल अछि चान—

    छीटिकऽ उनटा सरिसव

    पूर्णिमाक विनियोग—

    बहुत पहिनहि कयने छल!

    मंत्रक मेघ उमड़ि रहले

    तंत्रक आँगनमे

    दू टुकड़ी कुम्हर, खड्गक—

    एक्के नांघनमे

    दिशि-दिशिमे उच्चाटन,

    मोहन, मारण छिटकल

    तिल-तिल घटि-बढ़ि चक्र—

    पूजि पहिनहि लेने छल!

    दरस-परस श्रुति-गंध—

    पंथमे टोना-मोना

    काजरकेर कनखीपर—

    नाचि रहल सभ कोना

    कुशक सेजपर सूति रहल अछि—

    घोंघा-सितुआ,

    आठ आँगुरक चोख लहरनी—

    पजियौने छल!

    स्रोत :
    • पुस्तक : हम भेटब (मैथिली गीत-नवगीत संग्रह) (पृष्ठ 28)
    • रचनाकार : मार्कण्डेय प्रवासी
    • प्रकाशन : जखन-तखन, दरभंगा
    • संस्करण : 2004

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY