Font by Mehr Nastaliq Web

जागल आगि

jagal aagi

शान्ति सुमन

शान्ति सुमन

जागल आगि

शान्ति सुमन

और अधिकशान्ति सुमन

    चटकलक चिमनीमे जागल आगि

    भाय रे, रंग लहू के उगल

    मानै छी मौसम सुगंध केर

    सबके नहि भेटय

    तालक फूलल रक्तकमल

    सबहक मन नहि बेधय

    गूंग-बहिर बस्तीमे कोना हँसय

    भाय रे, मौन अकास उड़ल

    ऊँचबात करयवला

    सब छोटे नहि होमय

    ओना धरम के परचारक

    सब अन्हारे रोपय

    जिनगी जे बीच धार डूबल

    भाय रे, हाथ उठाकेँ बजल

    कोना कहब दोष एकरा

    जीबै केर बिसवास

    खुलल-अधखुलल आँखिकेँ दऽकेँ

    रंगभरल आकाश

    एक सपना हम देखै छी जागल

    भाय रे, सुन्नर परब मनल

    स्रोत :
    • पुस्तक : मेघ इन्द्रनील (पृष्ठ 60)
    • रचनाकार : शान्ति सुमन
    • प्रकाशन : अभिधा प्रकाशन
    • संस्करण : 2005

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY