Font by Mehr Nastaliq Web

करइथ नेतागण भाषण मनुष्याभास

karith netagan bhashan manushyabhas

गंगेश गुंजन

गंगेश गुंजन

करइथ नेतागण भाषण मनुष्याभास

गंगेश गुंजन

और अधिकगंगेश गुंजन

    भेटला ढेरी रास देशकेर गीत गबैया

    मुदा भेटे छथि कहाँ एकर गढ़य वाला

    बड़ घोखल जाइछ एकर रक्षा-रक्षा

    लुटि रहल एकरो रक्षा करयबाला।

    आदर्शक माला तँ बड़ गाँथल जाइछ

    कर्मपुष्प केर पँखुरी सब नोचल जाइछ

    पाठ एकता केर देशक जे पढ़ा रहल

    सैह लोक देशक गाछक जड़ि कोड़ि रहल

    शिक्षा, समता श्रमेकर महिमा गबैत छथि

    सैह अपढ़-असहायक कंठ मोकैत रहैत छथि

    राष्ट्रधर्म थिक आहुतिक नमहर इतिहास

    करइथ नेतागण भाषण मनुष्याभास

    एकरा झरका देल धर्म केर आगि बारि कऽ

    एकरा कुठित मारल व्यक्तिक जाति-स्वार्थसँ।

    बेशी-लोक तँ छथि एहिमे ढोलपिट्टा गायक

    अप्पन कारिख देशक दामे छोड़बय वाला।

    स्रोत :
    • पुस्तक : दुःखक दुपहरिया (पृष्ठ 27)
    • रचनाकार : गंगेश गुंजन
    • प्रकाशन : क्रान्तिपीठ प्रकाशन, पटना
    • संस्करण : 1999

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY