Font by Mehr Nastaliq Web

गंधहीन फूलक मधुमास

gandhhin phulak madhumas

गंगेश गुंजन

गंगेश गुंजन

गंधहीन फूलक मधुमास

गंगेश गुंजन

और अधिकगंगेश गुंजन

    किछु लिखल छल अहाँक नामसँ

    किछु लिखल हमरा नामे

    मरुस्थलक बालुक से कागज

    अपना दुनूक गोटेक नामे।

    आधा दूर पसाही पछवा

    आधा पसरल बन खजूर

    पूबसँ दाही पच्छिम अन्हर

    लिखल दुनू गोटेक नामे।

    बाँझ गाछ चतरल अन्हरिया

    गंधहीन फूलक मधुमास

    पात-पात कर झरकल हरियर

    यात्रा दुनू गोटेक नामे।

    निरगुनियाँ दर्शन सन प्रतिपल

    दुनू गोटेक मनक आधार

    अपनहि घरमे अनचिन्हार

    अधिकार अहँक हमरा नामे।

    जीवन थिक यात्रा दुक्खे दुःख

    कहइत अछि किछु लोक-समाज

    लोक मुदा तैयो हँसैत अछि

    दुनू गोटेक दुःखक नामे।

    किछु बूझल छल अहूँक मनकेँ

    किछु स्वादल छल स्नेहक धार

    दुनू गोटेक सपना दहा रहल

    अनचिन्हार गामे-गामे।

    किछु लिखल छल अहाँक नामसँ

    किछु लिखल हमरा नामे

    मरुस्थलक बालुक से कागज

    अपना दुनू गोटेक नामे।

    स्रोत :
    • पुस्तक : दुःखक दुपहरिया (पृष्ठ 1)
    • रचनाकार : गंगेश गुंजन
    • प्रकाशन : क्रान्तिपीठ प्रकाशन, पटना
    • संस्करण : 1999

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY