छूलहुँ अहँ हमर देह
chhulahun ahan hamar deh
पोर-पोर नस-नसकेँ—
बिजुरी अछि छूबि गेल,
—छूलहुँ अहँ हमर देह!
करबीरक पात,
भालसरिक पात गात-गात
कामरूप: मेघ-मथित—
मानस-नभ सुरभि-स्नात
कल्पनाक काव्य-धारमे
तन-मन डूबि गेल,
—छूलहुँ अहँ हमर देह!
नीलमकेर सेज चढ़ल—
नीलम अछि चारि नयन
रोम-रोम सिहरौलक—
यौवनमन पुलक-पवन
पाबि मधुर मलय-स्पर्श
सिंगरहार चूबि गेल,
—छूलहुँ अहँ हमर देह!
- पुस्तक : हम भेटब (मैथिली गीत-नवगीत संग्रह) (पृष्ठ 33)
- रचनाकार : मार्कण्डेय प्रवासी
- प्रकाशन : जखन-तखन, दरभंगा
- संस्करण : 2004
Additional information available
Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.
About this sher
rare Unpublished content
This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.