Font by Mehr Nastaliq Web

भरल आँखि सपना

bharal ankhi sapna

विभूति आनंद

विभूति आनंद

भरल आँखि सपना

विभूति आनंद

और अधिकविभूति आनंद

    भरल आँखि सपनामे,

    ओदरल जे ढाल अछि

    खोधड़ भेल गाछमे,

    पंछी केर खाल अछि

    पूछी अहीं सँ,

    की हाल-चाल अछि?

    ज्योतिषी सड़क कात,

    ज्योतिष बे-हाल अछि

    बाज बनल सत्ता, आ

    सत्ताकेँ गाल अछि

    पूछी अहीं सँ,

    की हाल-चाल अछि?

    धीपल अछि धरती, आ

    धीपल आकाश अछि

    तैयो ई शीतल-मन,

    हरियर-सन आस अछि

    पूछी अहीं सँ,

    की हाल-चाल अछि?

    स्रोत :
    • पुस्तक : पीयर रौद पियरगर धरती (गीत-संग्रह) (पृष्ठ 88)
    • रचनाकार : विभूति आनन्द
    • प्रकाशन : नवारम्भ, पटना/मधुबनी
    • संस्करण : 2018

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY