Font by Mehr Nastaliq Web

जूता हमर माथपर सवार अछि

juta hamar maath par savar achhi

महाप्रकाश

अन्य

अन्य

महाप्रकाश

जूता हमर माथपर सवार अछि

महाप्रकाश

और अधिकमहाप्रकाश

    जूता हमर माथपर सवार अछि

    हम नाँगट पयर दरारि

    शोणितक नदीकेँ

    पयरमे बन्हने

    काँटक अनन्त जंगलसँ लड़ैत

    मरूभूमिमे पड़ल छी...

    आँखिमे पानिक सतहपर

    टुटैत हमर अर्जित स्वप्न-संगीतक

    विद्रोही राग-रागिनी

    उलहन-उपराग अलापैत अछि...

    हमर आस्थाक सार्थक शब्द

    हमर संस्कारक आधारशिला

    कोन आश्रम कोन ज्योतिपिंडकेँ

    हम देने रही हाक...

    यात्रा पूर्व जतऽ रोपने रही

    संकल्पित पयर

    जतऽ भरने रही फेफड़ामे

    सर्वमांगल्ये मंत्रपूरित हवा

    कोन गली कोन चौबटियापर अनाम भेल...

    हमर संगक साथी सम्बन्ध सर्वनाम

    अपन विशेषण अपन सुरक्षाक

    अन्वेषणमे फँसि गेल

    जूताक आदिम गह्वरमे

    बना लेलनि अपन-अपन घर दुर्निवार...

    हे हमर हिस्साक ज्योति सखे!

    देखू कतऽ-कतऽसँ दरकि गेल अछि

    हमर आस्थाक चित्र-लोक

    कतऽ-कतऽसँ दरकि गेल अछि रंग

    हमर दर्द कहू...

    कतऽ-कतऽसँ टूटि गेल हमर शक्ति-क्रम

    हमर हाथ गहू...

    जूता हमर माथपर सवार अछि।

    स्रोत :
    • पुस्तक : संग समय के (पृष्ठ 54)
    • रचनाकार : महाप्रकाश
    • प्रकाशन : अंतिका प्रकाशन
    • संस्करण : 2007

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY