Font by Mehr Nastaliq Web

सफलताक आकाशमे

saphaltak akashme

मुख्तार आलम

अन्य

अन्य

मुख्तार आलम

सफलताक आकाशमे

मुख्तार आलम

और अधिकमुख्तार आलम

    बेरोजगारी दूर केनाइ

    शिक्षामे सुधार आननाइ

    स्वास्थ्य सेवामे वृद्धि

    नहि अछि विकासक एजेंडामे

    दुनिया भरिक देश जखन

    नम्हर दूरी धरि मारि करैवला

    बनाय लैत अछि मिसाइल

    बमवर्षक विमान

    परमाणु बम

    तँ छाती ठोकिकेँ

    कहैत अछि अट्टहासक संग

    हमर परीक्षण सफल भेल

    आठ हजार किलोमीटर दूर धरि

    मारि करय बला

    मिसाइल बनाबऽमे

    ओना अलग गप जे

    केओ भात लेल

    केओ नौकरी लेल

    लगा लैत अछि फँसरी

    ऑक्सीजनक अभावमे

    कतेक बच्चा

    दम तोड़ि दैत छैक

    एहि व्यवस्थाकेँ

    ठिठुआ देखाबैत

    तैयो सौंसे दुनिया

    मनबैत अछि

    विश्व अहिंसा दिवस

    बापूकेँ बुझैत अछि

    अपन असंख्य प्रेरणा

    इहो अलग गप अछि जे

    नागासाकी हिरोशिमाक

    नृशंस जनसंहार

    करायल जाइत अछि

    जन-जनकेँ

    भाप बनाकेँ

    उड़ा दैत अछि

    सफलताक आकाशमे

    मनुक्खकेँ

    ओकर मनुक्खसँ

    दूर करबाक

    साजिश अछि

    एखनुक विकास।

    स्रोत :
    • पुस्तक : परिचय बनैत शब्द (पृष्ठ 65)
    • रचनाकार : मुख्तार आलम
    • प्रकाशन : मुख्तार आलम
    • संस्करण : 2021

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY