Font by Mehr Nastaliq Web

समझौता नहि अछि स्वीकार

samjhauta nahi achhi svikar

रामकृष्ण परार्थी

रामकृष्ण परार्थी

समझौता नहि अछि स्वीकार

रामकृष्ण परार्थी

और अधिकरामकृष्ण परार्थी

    समझौताक गप नहि करी हमरासँ

    नफा-नुकसान, घाटाक गप नहि करी हमरासँ

    ने हम स्वार्थी छी

    ने छी हम बिकाउ

    परिणामक डर सेहो नहि अछि हमरा

    जे हेतैक से देखल जेतैक

    हमरा अहाँ अपन गीदड़-भभकीसँ नहि डराउ

    मानल जे एखन धरि हम जीतल नहि छी

    मुदा एखन धरि त' हम हारो नहि

    केलहुँ अछि स्वीकार

    एखन लड़ब हम

    संघर्षरत रहब हम

    जाधरि बाँचल अछि मिसिओ भरि जीतक आस

    जाधरि चलैत रहत हमर अंतिम साँस

    अहाँक समझौता आकि कोनो शर्त

    किन्न्हुँ नहि करब स्वीकार

    हमरा बुझल अछि अहाँक शब्दकोशमे

    समझौताक अर्थ होइत छैक षड़यंत्र

    शर्त माने छल प्रपंच-धोखा

    हम जानि-बुझिक' नहि बनि सकैत छी

    अहाँक शिकार

    हमरा मृत्युसँ पहिने आत्महत्या नहि अछि स्वीकार

    हमरा बुझल अछि

    विश्वासघात अछि अहाँक सभसँ पैघ हथियार।

    स्रोत :
    • पुस्तक : विद्रोही बसात (मैथिली कविता-संग्रह) (पृष्ठ 19)
    • रचनाकार : रामकृष्ण परार्थी
    • प्रकाशन : नवारम्भ, पटना/मधुबनी
    • संस्करण : 2024

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY