ई अर्थ पुछबाक समय नहि
पुछू नहि आइ
अर्थ
ओहि स्थायी नीन्दकेँ
जे ओहि धरतीपर
अपन हस्ताक्षर करबाक जिद्दमे
भेटि रहल अछि,
जतऽ नुकौने अछि ओ बीज, विद्रोहक
पुछू नहि आइ
अर्थ
ओहि विद्रोही मुस्कानकेँ
जे धरतीक छातीमे
समाइत रक्तक बुन्द
आ झकझोरैत समयकेँ देखि
फूटैत अछि ठोरपर
यूद्धमे एना होइते रहै छै
संसारक मुक्तिमार्गक पथिकेँ
योद्धाक साँस टूटैत रहै छै
आ ठोर मुस्किआइत रहै छै
नहि
अखन पुछू नहि
पूछि लेब कहियो
अखन तँ
बीज रोपबाक समय अछि
अपन धरतीपर
अपन हस्ताक्षर करबाक समय अछि
अखन तँ समयकेँ झकझोरबाक समय अछि
अखन तँ युद्धक विरुद्ध युद्ध पसारबाक समय अछि
आ समय अछि
ओ सभ बदलि देबाक
जे विपरीत अछि
जमीनकेँ,
आम आदमीकेँ।
- पुस्तक : समय गीत (पृष्ठ 45)
- रचनाकार : रोशन जनकपुरी
- प्रकाशन : मैथिली विकास कोष, जनकपुर
- संस्करण : 2013
Additional information available
Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.
About this sher
rare Unpublished content
This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.