गिद्ध
(1)
गिद्ध
जखन देखैत अछि लाश
सहटि जाइत अछि लग
आ जीबैतकेँ देखि
उड़ि जाइत अछि।
मनुक्ख
लाशकेँ देखि
हटि जाइत अछि दूर
आ जीबैतकेँ देखि
सहटि अबैत अछि लग।
गिद्ध आ मनुक्खमे
कोनो समानता नहि।
हमरा अफशोस अछि
गिद्ध नहि सीखि सकल
मनुक्खसँ
जीवितक लग अयबाक गुण,
मुदा हमरा बेसी अफशोस अछि
किछु मनुक्ख सीखि लेलक
गिद्धसँ नोचबाक गुण।
अफशोस इहो अछि
जे गिद्ध
लाशकेँ नोचैत अछि
आ
मनुक्ख,
मनुक्खकेँ।
(2)
गिद्ध
आब मसान घाटमे नहि
गामोमे उतरैत अछि
आब तँ गामो
मसाने जकाँ भऽ गेल अछि ने?
अनजान अछि एहि सत्यसँ
जे गाम
मसान भऽ सकैत अछि
गिद्धोक लेल।
- पुस्तक : समय गीत (पृष्ठ 52)
- रचनाकार : रोशन जनकपुरी
- प्रकाशन : मैथिली विकास कोष, जनकपुर
- संस्करण : 2013
Additional information available
Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.
About this sher
rare Unpublished content
This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.